Logo

Jun 28 2026 | २०८३, असार १४ गते

Jun 28 2026 | २०८३, असार १४ गते

स्रोत नै खुलल १० लाख नगद सहित भारतीय नागरिक गिरफ्तार

स्रोत नै खुलल १० लाख नगद सहित भारतीय नागरिक गिरफ्तार

  • सिरहा, १० साओन: लहान–३ अस्पताल चाैकसँ आइ सशस्त्र प्रहरी स्रोत नै खुलल १० लाख एक हजार ६९५ टका सहित एकटा भारतीय नागरिककेँ गिरफ्तार कएने अइछ। गिरफ्तार भेल व्यक्ति भारतक मधुवनी जिला स्थित लौकाहा बजारक २४ वर्षीय राहुल कुमार छैथ।

    सशस्त्र प्रहरी बल, नेपाल नं. ७ गण सिरहाक गणपति, सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक नरेश भण्डारीक अनुसार, भोरमे लगभग ९:३० बजे सुरक्षा बेस क्याम्प लहानसँ खटल ‘चेक प्वाइन्ट’ समूह यात्रीवाहक सवारी जाँच करबाक क्रममे इनरुवासँ लहानदिस आइब रहल बसमे सवार राहुल कुमारकेँ नियन्त्रणमे लेने अइछ। गिरफ्तार भेल राहुल कुमारकेँ नगद सहित भन्सार कार्यालयमे बुझेबाक प्रक्रिया आगाँ बढ़ाएल गेल ओ जानकारी देलैन। 

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij