Logo

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

देशभैर लगभग ७२ प्रतिशत धान रोपनी सम्पन्न

देशभैर लगभग ७२ प्रतिशत धान रोपनी सम्पन्न

  • काठमाण्डू, ६ साओन: अइ साल देशभैर लगभग ७२ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल अइछ। वितल वर्षके इएह अवधिक तुलनामे रोपनी १२ प्रतिशतसँ कम अइछ। देशभैर लगभग १० लाख हेक्टर क्षेत्रफल जमीनमे रोपनी सम्पन्न भेल कृषि तथा पशुपक्षी विकास मन्त्रालय जनौलक अइछ।

    देशमे लगभग १४ लाख हेक्टर जमीनमे रोपनी भ रहल मन्त्रालयक सूचना अधिकारी महानन्द जोशी जानकारी देलैन। सुदूरपश्चिम प्रदेशमे सबसँ बेसी ९७ प्रतिशत रोपनी भेल जखन कि कर्णाली आ लुम्बिनी प्रदेशमे ८८ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल कृषि तथा पशुपक्षी विकास मन्त्रालयक सूचना अधिकारी जोशी जानकारी देलैन। हुनकर अनुसार, मौसमक प्रतिकूलताक असर नै देखलापर साओनक अन्तिम सप्ताहधैर ९८ प्रतिशत रोपनी होएबाक अनुमान कएल गेल अइछ। सुदूरपश्चिम प्रदेशमे लगभग ९७ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न होइत काल एक लाख ७१ हजार हेक्टरमे रोपनी भेल सूचना अधिकारी जोशी उल्लेख केलैन।

    प्रतिशतक हिसाबसँ एत सबसँ बेसी रोपनी भेल अइछ। हुनकर अनुसार, बागमती प्रदेशमे ८७ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न होइत काल एक लाख पाँच हजार हेक्टरमे रोपनी भेल अइछ। वितल वर्ष इएह अवधिमे लगभग ८४ प्रतिशत धान रोपनी भेल छल। मन्त्रालयद्वारा रैवदिनधैर सङ्कलन कएल गेल तथ्याङ्क अनुसार, देशक किछु भागमे रोपनी भ रहल अइछ।

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    ताजा अपडेट