Logo

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

‘हनी ट्र्याप’मे फँसबैबाली महिला गिरफ्तार

‘हनी ट्र्याप’मे फँसबैबाली महिला गिरफ्तार

  • कर्णाली, ७ साओन: जिला प्रहरी कार्यालय सुर्खेत आर्थिक फाइदाके उद्देश्यसँ ‘हनी ट्र्याप’मे फँसा क १४ लाख २५ हजार टका असुल करएबाली महिलाकेँ गिरफ्तार कएने अइछ। गिरफ्तार होएबाली नौमू गउँपालिका–८ दैलेख घर भ एखन वीरेन्द्रनगर नगरपालिका–९ सुर्खेतमे रहैत आएल २१ वर्षीय सिन्दु चन्द छैथ। ओ वि.सं. २०८१ भादवमे मनोज कोइरालाकेँ वीरेन्द्रनगर–६ सुर्खेत बुद्धपथ स्थित बुलबु भ्यू होटलमे बजा क आपसी जान-पहिचान आ सहमतिमे सम्बन्ध बनेने छलीह।

    ओइ सम्बन्धकेँ आर्थिक लाभ लेबाक मनसायसँ जबरजस्ती करणीक मुद्दामे फँसा देब आ सामाजिक सञ्जाल तथा मिडियामे नग्न फोटो राइख देब कइह डर-धमकी देखा क बेइमानीपूर्वक जटिल परिस्थिति ठाढ़ क कोइरालासँ बेर-बेर क १४ लाख २५ हजार टका असुल कएने जानकारी जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता एवम् प्रहरी नायब उपरीक्षक मोहनजङ्ग बुढ्थापा देलैन। हुनक अनुसार, पीड़ितसँ नगद असुली कएल गेल प्रमाण सहित प्राप्त जाहेरीके बाद मंगलदिन प्रहरी समूह ओइ अपराधमे संलग्न महिलाकेँ गिरफ्तार कएने अइछ। गिरफ्तार भेल अभियुक्त चन्दकेँ आर्थिक लाभ (सेक्स एक्सटर्सन) लेबाक अपराधमे अनुसन्धानक काज भ रहल प्रहरी जनौने अइछ।

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    ताजा अपडेट