Logo

Jun 28 2026 | २०८३, असार १४ गते

Jun 28 2026 | २०८३, असार १४ गते

श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिकमे वृद्धि

श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिकमे वृद्धि

  • काठमाण्डू, ६ साओनः श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिक वृद्धि कएल गेल अइछ । न्यूनतम पारिश्रमिक १९ हजार ५५० कायम करए लेल बितल वृहस्पैतदिन सरकारकेँ सिफारिस अनुसार सोमदिन राजपत्रमे प्रकाशित भेल अइछ । नेपाल सरकार, रोजगारदाता आ श्रमिक सङ्गठनबीच बितल अखार ३२ गते श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालयमे बैसल त्रिपक्षीय बैसार अगिला दू वर्षक लेल उक्त पारिश्रमिक कायम करबाक सहमति भेल, सएह सहमतिक आधारमे सिफारिस कएल गेल छल ।

    श्रम ऐन, २०७४के दफा १०७ अनुसार प्रत्येक दू वर्षमे श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिक पुनः निर्धारण करबाक व्यवस्था अइछ । न्यूनतम ज्यालाके निर्धारण त्रिपक्षीय सहमतिक आधारमे निर्णय कएल गेल ई पहिल बेर अइछ । सहमतिक बाद श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षामन्त्री शरत सिंह भण्डारी न्यूनतम ज्यालाके प्रभावकारी कार्यान्वयनमे सब पक्ष गम्भीर आ जिमेवार ढङ्गसँ पालन करबाक सहमतिमे निर्धारण होएब सकारात्मक पक्ष भेल बतौलैन । न्यूनतम पारिश्रमिक निर्धारण समितिक संयोजक तथा श्रम मन्त्रालयक सहसचिव प्रदीप कोइराला लम्बा समयसँ परामर्श, समन्वय आ गहिर बातचितके बाद सहमति सफल भेल बतौलैन । रोजगारदाता पक्षसँ उद्योग वाणिज्य महासङ्घके अध्यक्ष चन्द्र ढकाल टिकाउ श्रम सम्बन्ध कायम करए लेल न्यूनतम पारिश्रमिकमे सहमति आवश्यक रहल आ सब पक्षके लचकताके माध्यमसँ प्राप्त सहमति सबके लेल स्वीकार्य रहल बतौलैन । अइसँ पहिने श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिक १७ हजार ३०० छल ।

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij