Logo

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

Jun 04 2026 | २०८३, जेठ २१ गते

एमाले अध्यक्ष ओली आ पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी बीच भेटवार्ता सम्पन्न

एमाले अध्यक्ष ओली आ पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी बीच भेटवार्ता सम्पन्न

  • काठमाण्डू, ४ साओन:नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के अध्यक्ष तथा प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ पूर्वराष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी बीच भेटवार्ता सम्पन्न भेल अइछ। ललितपुर च्यासल स्थित एमालेक केन्द्रीय कार्यालयमे हुनक' दुनू गोटेक बीच 'वान टू वान' भेटवार्ता भेल अइछ। भेटवार्ताक बाद पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी पत्रकारसभसँ संक्षिप्त बात करैत कहलैन जे प्रधानमन्त्री तथा एमाले अध्यक्ष ओलीसङ राष्ट्रिय राजनीतिक विषयवस्तुपर चर्चा भेल।

    "हुनकासँ मात्रे राष्ट्रिय राजनीतिक विषयपर बात भेल," ओ सञ्चारकर्मीसभसँ कहलैन, "बाकी बातसभ आधिकारिक माध्यमसँ अहाँसभकेँ जानकारी होएत।" पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी जानकारी देलैन जे हुनकर पार्टी सदस्यता पहिनेसँ नवीकरण भ चुकल अइछ। हुनका दुनू गोटेक बीच लगभग डेढ़ घण्टाधैर बात भेल। पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी जिमेवारीसँ बाहर भेलाक बाद पहिल बेर एमाले मुख्यालय च्यासल पहुँचल छैथ। हुनका एमाले उपाध्यक्ष सुरेन्द्र पाण्डे आ केन्द्रीय कार्यालयक सचिव डा. भीष्म अधिकारी स्वागत कएलैन।

    ओ अइसँ पहिने पार्टी राजनीतिमे एबाक सार्वजनिक घोषणा क चुकल छैथ। ई विषय एमालेक सचिवालय आ पोलिटब्यूरो बैसारमे प्रवेश भेलाक बाद आइ नेतृत्वसँ औपचारिक चर्चा भेल अइछ। एमालेक शैनदिन सम्पन्न पोलिटब्यूरो बैसारमे अधिकांश पोलिटब्यूरो सदस्य पूर्वराष्ट्रपति जकाँ गाैरवमय पदपर रइह चुकल व्यक्तिकेँ पार्टीक सक्रिय राजनीतिमे नै एबाक चाही से विचार व्यक्त कएने छल।

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2026 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    ताजा अपडेट