Logo

Jul 25 2025 | २०८२, साउन ९ गते

Jul 25 2025 | २०८२, साउन ९ गते

जनकपुरधाममे सात वर्षक बाद लक्ष्यसँ बेसी राजस्व

जनकपुरधाममे सात वर्षक बाद लक्ष्यसँ बेसी राजस्व

  • जनकपुरधाम, ७ साओन: आन्तरिक राजस्व कार्यालय जनकपुरधाम सात वर्षक बाद तोकल गेल लक्ष्यसँ बेसी राजस्व संकलन कएने अइछ। विभिन्न सूचकके आधारपर कएल गेल कार्यसम्पादनसँ कार्यालयमे सात सालमे पहिल बेर आर्थिक वर्ष २०८१/८२मे लक्ष्यसँ बेसी राजस्व संकलन भेल कार्यालय जनौने अइछ। कार्यालय प्रमुख आनन्द कुमार गुप्ताक अनुसार, आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे वार्षिक लक्ष्य चाइर अरब ८८ करोड़ ६८ लाख टका राजस्व संकलन करबाक छल, जकर तुलनामे चाइर अरब ९० करोड़ ४३ लाख टका कुल राजस्व संकलन भेल अइछ। सङे, कार्यालय लम्बा समयसँ राजस्व नै देनिहार १२५ टा व्यावसायिक फर्मकेँ कारबाहीक प्रक्रिया आगाँ बढेने अइछ।

    ओइमेसँ कारबाहीमे पड़ल १० टा फर्मसँ चाइर करोड़ ३० लाख टका राजस्व संकलन भेल से जानकारी कार्यालय प्रमुख गुप्ता देलैन। ओइ अवधिमे कार्यालय आयकरदिस एक अरब ३२ करोड़ ५३ लाख ७४ हजार टका, बहालकरदिस तीन करोड़ ३४ लाख ४५ हजार टका, ब्याजकरदिस सात करोड़ ९५ लाख २९ हजार टका, मूल्य अभिवृद्धिकरदिस एक अरब नौ करोड़ ८० लाख ६४ हजार टका, अन्तःशुल्ककरदिस दू अरब ३६ करोड़ ६० लाख १० हजार टका, स्वास्थ्यकरदिस चाइर लाख ७९ हजार टका, शिक्षाकरदिस तीन हजार तथा अन्यकरदिस १४ लाख ३७ हजार टका सहित कुल चाइर अरब ९० करोड़ ४३ लाख ४१ हजार टका राजस्व संकलन भेल जानकारी देल गेल अइछ।

    ओइ अवधिमे कार्यालयक लेल आयकरदिस एक अरब ५८ करोड़ ६० लाख टका, बहालकरदिस ५४ करोड़ ४४ लाख ८० हजार टका, ब्याजकरदिस सात करोड़ ६१ लाख ३१ हजार टका, मूल्य अभिवृद्धिकरदिस एक अरब १७ करोड़ १७ लाख १४ हजार टका, अन्तःशुल्ककरदिस एक अरब ९९ करोड़ ६१ लाख ६ हजार टका, स्वास्थ्यकरदिस २१ लाख ८३ हजार टका, शिक्षाकरदिस दू लाख पाँच हजार टका सहित कुल चाइर अरब ८८ करोड़ ६८ लाख २४ हजार टका राजस्व संकलनके लक्ष्य छल। लगभग ३५ हजार करदाता रहल ओइ कार्यालयमे आर्थिक वर्ष २०८०/८१ क तुलनामे आर्थिक वर्ष २०८१/८२मे बेसी राजस्व संकलन कएने अइछ, से कार्यालयद्वारा प्राप्त तथ्यांकमे देखाएल गेल अइछ। विवरणमे आर्थिक वर्ष २०८०/८१मे तीन अरब ८२ करोड़ ८५ लाख टका तथा २०८१/८२मे चाइर अरब ९० करोड़ ४३ लाख टका राजस्व संकलन कएल गेल अइछ।

    फेसबुक प्रतिक्रिया

    थप समाचार

    पढ्नै पर्ने पत्रिका

    © 2025 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij

    © 2025 All right reserved to onlinepatrika.com | Site By : Sobij